मंगलवार, 1 मई 2012

अपने एना अपने मूँह-8

मास अप्रिल 2012मे कुल 135टा पोस्ट भेल जकर विवरण एना अछि------


अभय दीपराज, अविनाश झा अंशु, कुंदन कुमार कर्ण, अनिल जी, मिहिर झा आ सदरे आलम गौहरक 1-1टा पोस्ट भेल। मतलब 6टा पोस्टमे 6टा गजल।
मुकुंद मयंक जीक 2टा पोस्टमे 2टा गजल आएल।
नवल श्री जीक 4टा पोस्टमे 1टा गजल आ 3टा बाल गजल आएल।
ओमप्रकाश जीक 4टा पोस्टमे 3टा गजल आ 1टा आलोचना आएल।
रूबी झाक 7टा पोस्टमे 6टा गजल आ 1टा बाल गजल आएल।
प्रभात राय भट्ट जीक 14टा पोस्ट आएल जाहिमे हुनक 13टा गजल आ 1टा रुबाइ अछि।
अमित मिश्रा जीक कुल 36टा पोस्ट आएल जाहिमे 21टा गजल, 11टा बाल गजल, 3टा हजल आ 1टा पोस्टम मे 3टा रुबाइ अछि।
जगदानंद झा मनु द्वारा कुल 16टा पोस्ट भेल जाहिमे ओ रूबी झाक 7टा गजल आ 1टा बाल गजल प्रस्तुत केलाह
। संगे संग ओ अपन 6टा गजल आ 2टा बाल गजल देलाह।

चंदन झाक कुल 16टा पोस्ट आएल जाहिमे हुनक 10टा गजल आ 6टा बाल गजल अछि।
आशीष अनचिन्हारक कुल 30टा पोस्ट आएल जाहिमे अपने एना अपने मूँह-1टा, सम्मान संबंधी घोषणा-4टा, गजलक इस्कूल-15टा, परिचर्चा-6टा, 1टा गजल आ 3टा रुबाइ देल गेल।

ऐ मासमे अविनाश झा अंशु आ नवल श्री ( पंकज चौधरी "नवल श्री") जी अनचिन्हार द्वारा नव गजलकारक रूपमे चिन्हित कएल गेलाह।



(श्रीमती रुबी झा जीक सभ पोस्ट हटा देल गेल अछि। हुनक रचना अ-मौलिक सिद्ध भेल अछि। हमर ई कहब नै जे हुनक सभ रचना एहने सन हेतन्हि मुदा ई हुनक अधिकांश रचना लेल अछि।

सादर
सम्पादक
 22/1/2013)

1 टिप्पणी:

  1. बहत नीक, एक महिना में १३५ टा पोस्ट कोनो मैथिलि ब्लाक पर कृतिमान अछि ओहो गजलक ब्लाक, श्री आशीष अनचिन्हार आ सब लेखक मण्डली के बहुत-बहुत शुभकामना

    जवाब देंहटाएं

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों