शनिवार, 2 जून 2012

अपने एना अपने मूँह-9

मास मइ 2012मे अनचिन्हार आखरमे कुल 212टा रचना प्रस्तुत भेल जकर विवरण एना अछि-----

मुकुंद मयंक जीक 1टा पोस्टमे 1टा गजल अछि|
रूबी झाक 16टा पोस्टमे 15टा गजल आ 1टा बाल गजल अछि|
मिहिर झा जीक 16टा पोस्टमे 11टा रुबाइ आ 5टा गजल अछि|
जगदानंद झा मनु जीक 16टा पोस्टमे कुल 9टा गजल आ 7टा रुबाइ अछि|
ओमप्रकाश जीक 2टा पोस्टमे 1टा रुबाइ आ 1टा गजल अछि|
अनिल जीक 2टा पोस्टमे 2टा गजल अछि|
गजेन्द्र ठाकुर जीक 2टा पोस्टमे 1टा आलोचना आ 1टा नंद कुमार मिश्र जीक गजल पाठक भिडियो अछि|
प्रभात राय भट्ट केर 9टा पोस्टमे 7टा गजल आ 2टा रुबाइ अछि,
अमित मिश्राक 41टा पोस्टमे 16टा गजल, 21टा रुबाइ, 1टा आलेख, 2टा बाल गजल , 1टा हजल अछि।
चंदन झाक 38टा पोस्टमे 1टा बाल गजल ,19टा गजल ,2टा हजल ,15टा रुबाइ, 1टा कता अछि।


आशीष अनचिन्हारक 69टा पोस्टमे 2टा आलोचना,21टा गजलकार परिचय श्रृखंला, 2टा सम्मान संबंधी घोषणा, 1टा अपने एना अपने मूँह, 7टा रुबाइ, 12टा गजलक इस्कूल, 1टा आलेख,1टा बन्द देल गेल संगहि-संग मुन्ना जीक 17टा गजल प्रस्तुत कएल गेल, रामलोवन ठाकुर जीक 2टा गजल प्रस्तुत कएल गेल, स्वाती लालक 2टा गजल प्रस्तुत कएल गेल आ अविनाश झा अंशु जीक 1टा गजल प्रस्तुत कएल गेल।


(श्रीमती रुबी झा जीक सभ पोस्ट हटा देल गेल अछि। हुनक रचना अ-मौलिक सिद्ध भेल अछि। हमर ई कहब नै जे हुनक सभ रचना एहने सन हेतन्हि मुदा ई हुनक अधिकांश रचना लेल अछि।

सादर
सम्पादक
 22/1/2013)

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों