बुधवार, 6 जून 2012

गजलक इस्कूल भाग-55

आँखि नोरसँ भरल संगे नोर कम खूनसँ भरल अछि

2122-2122-2122-2122

एकरा आगू लिखू
· · · 10 May at 14:34 via Mobile
    • Ashish Anchinhar संक्षिप्तता गजलक जान होइत छै। जखन इएह बात कहबाक अछि तँ सोंझे कहिऔ जे----

      आँखि खूनसँ भरल अछि....
    • Chandan Jha आँखि खूने भरल जेना
      काँट छाती गरल जेना

      पानि खौलल आगि जेना
      आगि लागै ठरल जेना
      10 May at 15:15 · · 3
    • Amit Mishra ham ehi tham e kah chahai chhalun je . . .kono ehan ghatna jai san bahut dukh bhel jai san ankhi nora gel muda ai dukh san besi krodh bhel ohi ghatna karai wala par . . . . . . . . . . . Ona ekta nav gyan bhetal
      10 May at 15:19 via Mobile · · 1
    • Ashish Anchinhar तखन एकर भावकेँ

      दू पाँतिमे बाँटि दिऔ। बेसी नीक रहतै।..
    • Amit Mishra आँखि नोरसँ भरल एखन
      आँखि खूनसँ सजल एखन

      2122-2122
    • मिहिर झा Amit ji, yadi aankhi ke khoon se saja debai ta ahan ke upar pragat kayel bhaao nahi aayet
    • Chandan Jha नोर पोखरि भरल जेना
      धार खूनक बहल जेना

      गाछ छलए फरल जेना
      आब लगए झरल जेना
    • Chandan Jha गजल-४२

      आँखि खूनसँ भरल जेना
      काँट हृदय गरल जेना

      पानि खौलय अनल जेना
      आगि लगए ठरल जेना

      नोर पोखरि भरल जेना
      धार खूनक बहल जेना

      गाछ छलए फरल जेना
      आब लगए झरल जेना

      गाम छलए सजल जेना
      आब "चंदन" मरल जेना
      2122-2122
      --------वर्ण-१०--------
    • Amit Mishra neek chandan ji
    • Amit Mishra ehi post san nav bat sikhwak bhetak . . . . . . Apne san aagrah je hamr uprokt bhav k sabd san kripa k saja dia
    • मिहिर झा नोर आँखिसँ झरल एखन
      खून आँखिमे चढल एखन
    • Chandan Jha नोर आँखिक जरल एखन
      खून नयने भरल एखन
    • Amit Mishra dhanyawad mihir jha ji aa chandan ji
      10 May at 18:08 via Mobile · · 1


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों