गुरुवार, 5 जुलाई 2012

मास जून 2012क लेल गजल सम्मान योजनाक पहिल चरण

हमरा इ सूचित करैत बड्ड नीक लागि रहल अछि जे " अनचिन्हार आखर"द्वारा स्थापित " गजल कमला-कोशी-बागमती-महानंदा" सम्मानक पहिल चरण बर्ख-2012 ( मास जून लेल ) पूरा भए गेल अछि। मास जून लेल मुन्ना जीक एहि रचना के चयन कएल गेलैन्हि अछि। हुनका बधाइ।


अपन देशक रोजगारीकेँ खसबैए सरकार

पँजी निवेश नामे विदेशीकेँ बसबैए सरकार


हाट बाजारक महत्व नै बूझै माँल बुझै मूल्यवान

छोट छोट व्यपारी के तँ भीतर धसबैए सरकार


लगा पसाही देश भरिमे करबैए जन आंदोलन

पीबै बला पानियोमे कचराकेँ भसबैए सरकार


लोकक पैसा कौड़ी केर इंतजामसँ लड़ैए चुनाव

अप्पन कुर्सीक लेल जनताकेँ फँसबैए सरकार


आखर-20

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों