गुरुवार, 9 अगस्त 2012

अपने एना अपने मूँह-11




विदेहक अंक १११ जे की बाल गजल विशेषांक आएल अछि जाहिमे कुल १६ टा गजलकारक कुल ९३टा बाल गजल आएल। संक्षिप्त विवरण एना अछि--------------------

रूबी झा जीक १३टा बाल गजल, इरा मल्लिक जीक २टा, मुन्ना जीक ३टा, प्रशांत मैथिल जीक १टा, पंकज चौधरी ( नवल श्री) जीक ८टा, जवाहर लाल काश्यप जीक १टा, क्रांति कुमार सुदर्शन जीक १टा, जगदीश चंद्र ठाकुर अनिल जीक १टा, अमित मिश्रा जीक ३०टा, ओमप्रकाश जीक १टा, शिव कुमार यादव जीक १टा, चंदन झा जीक १४टा, जगदानंद झा मनु जीक ६टा, राजीव रंजन मिश्रा जीक ४टा, मिहिर झा जीक ४टा, गजेन्द्र ठाकुर जीक १टा आ ताहि संगे आशीष अनचिन्हारक २टा बाल गजल आएल।
बाल गजलक आलावे ७टा बाल गजल पर आलेख आएल। आलेख कार सँ छथि---- मुन्ना जी, ओमप्रकाश, चंदन झा, जगदानंद झा मनु, अमित मिश्र आ आशीष अनचिन्हार आ मिहिर झा।

बाल गजल आ बाल गजल आलेख छोड़ि ऐ अंकमे-- योगेन्द्र पाठक वियोगी जीक १टा लघुकथा, श्री राजक १टा आलोचना, मुन्ना जीक १टा आलोचना, आशीष अनचिन्हार द्वारा जगदीश प्रसाद मंडल जीक साक्षात्कार, जगदानंद झा मनु आ जवाहर लाल काश्यपक १-१टा विहनि कथा, सुजीत झाक १टा रिपोर्ट, जगदीश प्रसाद मंडल जीक १टा लघुकथा, मुन्नी कामति जीक ८टा कविता, जगदीश चंद्र ठाकुर अनिल जीक १टा गीतक अगिला भाग, किशन कारीगरक १टा कविता, राजेश झाक २टा कविता , पंकज चौधरी नवल श्रीक १टा कविता आ संगे संग पुनः जगदीश प्रसाद मंडल जीक ५टा गीत अछि।



(श्रीमती रुबी झा जीक सभ पोस्ट हटा देल गेल अछि। हुनक रचना अ-मौलिक सिद्ध भेल अछि। हमर ई कहब नै जे हुनक सभ रचना एहने सन हेतन्हि मुदा ई हुनक अधिकांश रचना लेल अछि।

सादर
सम्पादक
 22/1/2013)

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों