गुरुवार, 9 अगस्त 2012

अपने एना अपने मूँह-12

मास जुलाई मे कुल 110टा पोस्ट अनचिन्हार आखर पर आएल जकर विवरण एना अछि-------------
    अमित मिश्र जीक कुल 37टा पोस्टमेसँ 18टा बाल गजल, 11टा रुबाइ आ 8टा गजल अछि।जगदानंद झा मनु जीक कुल 8टा पोस्टमेसँ 4टा बाल गजल, 1टा हजल आ 3टा गजल अछि|
    चंदन झा जीक कुल 8पोस्टमे 3टा गजल आ 5टा बाल गजल अछि।
    ओमप्रकाश जीक कुल 5टा पोस्टमे 1टा आलोचना, 1टा बाल गजल, 2टा गजल आ 1टा रुबाइ अछि।
    पंकज चौधरी ( नवल श्री ) जीक कुल 9टा पोस्टमे 5टा गजल आ 4टा बाल गजल अछि।
    रुबी झा जीक कुल 12टा पोस्टमे 5टा गजल आ 7टा बाल गजल अछि।
    राजीव रंजन मिश्र जीक कुल 4टा पोस्टमे 3टा गजल आ 1टा बाल गजल अछि।
    मिहिर झा जीक 1टा बाल गजल अछि।
    कुंदन कुमार कर्ण जीक 1टा गजल अछि।
प्रभात राय भट्ट जीक कुल 4टा पोस्टमे 4टा गजल अछि।
आशीष अनचिन्हारक कुल 21टा पोस्टमे 2टा सम्मानक घोषणा, 1टा अपने एना अपने मूँह, 1टा बाल गजल अछि संगे संग 11टा मुन्ना जीक रुबाइ, श्रीमती इरा मल्लिक जीक 2टा बाल गजल एवं जवाहर लाल काश्यप, शिव कुमार यादव, क्रांति कुमार सुदर्शन ओ प्रशांत मैथिल जीक 1-1टा बाल गजल प्रस्तुत कएल गेल।


ऐ मासमे राजीव रंजन मिश्र जी,क्रांति कुमार सुदर्शन, शिव कुमार यादव आ जवाहर लाल काश्यप मैथिली गजलक नव हस्ताक्षरक रूपमे एलाह।


(श्रीमती रुबी झा जीक सभ पोस्ट हटा देल गेल अछि। हुनक रचना अ-मौलिक सिद्ध भेल अछि। हमर ई कहब नै जे हुनक सभ रचना एहने सन हेतन्हि मुदा ई हुनक अधिकांश रचना लेल अछि।

सादर
सम्पादक
 22/1/2013)


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों