सोमवार, 13 अगस्त 2012

ऒनलाइन मोशायरा भाग-२


‎"काजर" पर किछु शेर, रुबाइ आ गजल भ जाय .......
· · · June 16 at 3:53pm

    • Ruby Jha Awsay...
      June 16 at 3:57pm via mobile · · 1
    • पंकज चौधरी काजर सँ शोभा आँखिक की आंखि सँ शोभित काजर
      करिया जादू सँ केलक सभके सम्मोहित काजर
      June 16 at 4:03pm · · 9
    • Ruby Jha Aankhi ker kaazar ajbay masihal achhi jena
      kari badri k bich me pain psijhal achhi jena
      Kajark rang sabahak lel hoy aichh alag alag
      Kakro lel shringar kakro lel surma(dawai) bnal achhi jena...!!
      June 16 at 4:06pm via mobile · · 9
    • मिहिर झा घर बैसि जनु निहारू प्रेयसीक आँखिक काजर
      देश विक्षुब्ध ताकि रहल छै खोलू जोशक गागर
      June 16 at 4:12pm · · 8
    • पंकज चौधरी नजरि ने ककरो लागय जादू - टोना छू - मंतर
      डायनो-जोगिन के केलक मोन के मोहित काजर
      June 16 at 4:25pm · · 7
    • Ruby Jha Hunak kazarak rekh lagay dwee dhari talvaar..!
      Katek lelan jaan katek dhasa k rakhne chhath katar..!!
      June 16 at 4:28pm via mobile · · 5
    • पंकज चौधरी कोना सम्हारल जेतय ई भाव करेजक भीतर
      परसय प्रणय-निवेदन नयन नवोदित काजर
      June 16 at 4:29pm · · 8
    • Chandan Jha नैनक काजर पर मोहित छै सगरो जगत
      जड़ैत डिबिया केर मोनक मरम के बुझत ?
    • मिहिर झा आँखिक लेपल काजर कहि रहल किछु बात
      राधा जमुना तीर छलथि की बनल किछु बात
      June 16 at 4:40pm · · 8
    • Ruby Jha आन्िख शोभय काजर त सोहाग भाग कहल जाए

      कुठाम जौ लागल काजर कलन्क दुर्भाग्य कहल जाए
      June 16 at 4:52pm via mobile · · 8
    • Ruby Jha काजर नोर सन्ग बहय थम्हल नै जाय छैक
      िबर्िहन रुप िकछ कहल नै जाय छैक
      June 16 at 5:00pm via mobile · · 8
    • Ashish Anchinhar मँहगाइयक मारि सिहरा गेलै
      काजर भरल आँखि पियरा गेलै....

      SSIS + SISS + SS
      June 16 at 5:27pm · · 7
    • पंकज चौधरी अपना नजरि ने लागय की प्राण लेती अनकर
      "नवल" फँसल दुविधा में देख अघोषित काजर
      June 16 at 6:20pm · · 3
    • Ira Mallick काजर नयन लगायब सजनी,
      बाट बिसरि जायब हम।
      नेह एहेन छलकायब सजनी,
      गीत बिसरि जायब हम।
      June 16 at 6:59pm via mobile · · 9
    • Ira Mallick बैरिन भेल गामक मलिनियाँ,
      जे फूलक सेज बिछाओल।
      दूजे बैरिन नयनक कजरा,
      निशदिन नीर बहाओल।
      June 16 at 7:13pm via mobile · · 8
    • Amit Mishra moshayara part 2. . . Neek shirshak aichh
      June 16 at 8:03pm via mobile · · 3
    • Ira Mallick
      आँखिक काजर अहाँक
      बेजोर लगैयै।
      एहन मुस्की सँ राइतो मेँ
      भोर लगैये।
      छी पूनम के चाँद लोग
      चकोर लगैये।
      गामक पहरुओ आब तैँ
      चोर लगैये।
      June 17 at 2:33am via mobile · · 9
    • Gunjan Shree नैन अछी की कारी-कारी मेघ घुमरल,
      काजरे सन पछिला जिनगि मोन परल......
    • Amit Mishra किछु राज जरूर नुकाएल काजर मे
      छी फँसल नेहक फुलाएल काजर मे
      टोना इ वा टोनासँ बचेबाक ठोप
      सदिखन त' मातल मताएल काजर मे
      June 17 at 11:27am via mobile · · 8
    • Amit Mishra लागल वाण जखन काजर भरल नैनसँ
      छी कतिआएल तखनसँ झड़कल रैनसँ
      पिपनी छोड़ि दुनियाँ अन्हार लागैए
      नैनक बाटसँ मोन मे उतरल चैनसँ
      June 17 at 11:29am via mobile · · 6
    • Amit Mishra नैनक काजर की अहाँ कजरौटा छी
      दू धारी बड शान चढ़ल सरौता छी
      सगरो जग मे मात्र नैनक गुलाम हम
      सम्मोहीत करैत कारी मुखौटा छी
      June 17 at 11:30am via mobile · · 6
    • Amit Mishra सबके तूँ नचबै छेँ वाह रे काजर
      बहकल मन फँसबै छेँ वाह रे काजर
      नेहक रण मे एक मात्र महारथी तूँ
      एक वारसँ हरबै छेँ वाह रे काजर
      June 17 at 11:32am via mobile · · 5
    • Amit Mishra दू आँखिक काजर हमर श्रृंगार छै
      पाहुँन संग सात जनमक इ करार छै
      नोरो खसल त' कारी काजर मे घोरि
      काजर सन पियासँ एहने प्यार छै
      June 17 at 11:35am via mobile · · 5
    • Amit Mishra काजर सन मोहक दाग चन्ना मे छै
      गाथा लिखल बिनु कलमक पन्ना मे छै
      बान्हल मोह पाश सँ के नै भटकैए
      साटल जादू त' नैनक फन्ना मे छै
      June 17 at 11:37am via mobile · · 7
    • Amit Mishra जुनि बूझू इ लागल त' नैन कटार छै
      मादकता नै नै इ नेहक पथार छै
      एगो टोटका काजर बूढ़ पुरानक
      दुनियाँक नजर सँ बचबाक हथियार छै
      June 17 at 11:38am via mobile · · 7
    • Prabhat Ray Bhatt Uyfm
      गजल
      गोरी अहाँक आईखक काजर हमर जान मरैय
      कारी कारी केशक लाल गाजर हमर जान मरैय

      कs कs सोलह श्रृंगार अहाँ जखन घर सं निकलै छि
      हावा में उडैत अहाँक आँचर हमर जान मरैय

      चानी पीटल देह देख कs मोन करैय करि सनेह
      सजनी अहाँक कमर पातर हमर जान मरैय

      रूप अहाँक चकमक ज्योति अंग अंग लगैय मोती
      मोती सं जडल अहाँक चादर हमर जान मरैय

      वर्ण-२०
      रचनाकार-प्रभात राय भट्ट
    • Chandan Jha
      गजल-५७

      नैनक काजर पर मोहित छै सगरो जगत
      जड़ैत डिबिया केर मोनक मरम के बुझत ?

      मदान्ध के सरोकार नहि होइत छै ककरो सँ
      फेर सरकार के कोना दीनक लचारी सूझत ?

      गोर गाल, कारी काजर देखि अन्हरेलै युवक
      तखन कनैत मायक आँखिक नोर के पोछत ?

      काँख तर नुकौने रहैछै लोक पानिक बोतल
      तखन फेर चौड़ीमे के इनार पोखरि खुनत ?

      गाम भऽगेलै सुन्न मुदा करे चकमक शहर
      "चंदन" ई बढ़ैत बिषमता के सम के करत?

      -------------वर्ण-१८--------------
      June 17 at 5:39pm · · 8
    • Amit Mishra पाथर बनल करेज त' मानवता मरल
      कारी खून भेलै दानवता जागल
      काजर सन कारी मुँह पर लेपल ढोँग
      चाँङुर फँसि अंधविश्वासक कते जड़ल
      June 18 at 11:27am via mobile · · 5
    • Amit Mishra बिनु मोर पिया के काजर बहि गेल माइ
      विधनाक मारि सँ सेनुर दहि गेल माइ
      बिन अपराधक सजा हमरे टा भेटल
      बहुते अपराधो क' एत' रहि गेल माइ
      June 18 at 11:29am via mobile · · 5
    • Amit Mishra लागै ने नजरि फूलक काजर लगा लिअ
      अछि इच्छा हमर कने घोघ उठा लिअ
      प्रेमक गीत जकाँ छमकाबू त' पायल
      तालसँ ताल मिलाबैत कंगन बजा लिअ
      June 18 at 11:31am via mobile · · 6
    • मिहिर झा अहांक गहीर कारी नैनकें काजर बनबै अथाह
      डूबि एहेन भवसागर मे कोना भेटत कोनो थाह
    • Ira Mallick परदेशी सँओ लगा बैसलहुँ हम बड़ झूठी यारी।
      झूठ सजेलओँ अधर गुलाबी आँखि मेँ काजर कारी।
      अँग अँग सजाओल गहना बिँदिया लाजक लाली सँ।
      राति ठहरि परदेशी करता फेर
      भोर के तैयारी।
      June 18 at 12:45pm via mobile · · 8
    • Ruby Jha Ahank aankhi k jaun ham kajar rhitu sajni...
      Bni kariya badar aankhi hum sjithu sajni...
      Barbas ta rhithu ham ahank sange sang..
      Dukh sukh bni kajrak sang bhithu sajni..
      June 18 at 4:06pm via mobile · · 6
    • पंकज चौधरी
      काजरसँ शोभा आँखिक की आंखिसँ शोभित काजर
      करिया जादू सँ केलक सभके सम्मोहित काजर

      नजरि नञि ककरो लागय जादू - टोना छू - मंतर
      डायनो-जोगिन के केलक मोन के मोहित काजर

      लागैन्हि नजरि नें अपना की लेती प्राण अनकर
      फँसल मोन दुविधा में ई देख अघोषित काजर

      सम्हारल जेतै कोना क ई भाव करेजक भीतर
      परसै प्रणय - निवेदन नैन नवोदित काजर

      ई मेघो देखि लाजयल जे कारी खट-खट काजर
      "नवल" कलंकक सोझा भ गेल अलोपित काजर
      June 18 at 6:52pm · · 6
    • मिहिर झा बारि टेमी काजर पारब आउ पिया घुरिके
      अही हाथे काजर लागत आउ पिया उडिके
      June 19 at 9:06am · · 2
    • Ashish Anchinhar अमित जीक आग्रह पर एकरा आन-लाइन मोशायरा भाग-दू घोषित कएल जाइए। एकर अंतिम तारीख २५ जून हएत। एकटा लेखक दससँ बेसी रचना नै देथि। पहिल मोशयराक विजेता श्री मिहिर जी अपन इनामी राशि र. २५१ स्वेच्छा पूर्वक नै लेने छलाह तँए ऐ मोशयाराक विजेताकेँ ओहो इनाम देल जेतन्हि, माने जे ऐ बेरुक विजेताकेँ ५०१ टाका इनाम देल जाएत।..
    • Amit Mishra काजर कने लगा लिअ नीक लागै यै
      पल भरि क' मुस्किया लिअ नीक लागै यै
      फूलल मुँह त लागै यै कोना दन यै
      आभा मुँहक चमका लिअ नीक लागै यै
      June 19 at 11:16am via mobile · · 2
    • मिहिर झा
      बारि टेमी काजर पारब आउ पिया घुरिके
      अही हाथे काजर लागत आउ पिया उडिके

      काजर लागल आन्खि जेना छै कारी भादो मेघ
      नोरे काजर धोआ ने जाय ताकू पिया मुडिके

      दू देह एक प्राण जीवनक मधुर सनेस
      फराक चलि थाकि गेलहु चलु पिया जुडिके

      घट्टी हम मानि लेल करब नहि कोनो भूल
      क्षमा दान दय धरू हाथ आउ पिया घुरि के
    • Chandan Jha रुबाइ

      नील नैन बिच साजल काजर करिया
      रूप लगैए अनमन धवल इजोरिया
      निश्चय अहाँ जनैत छी टोना-टापर
      भेल बताह छै तैँ गामक नवतुरिया.
    • Chandan Jha
      गजल-५९

      नयनक काजर नोर घोरिकऽ मोसि बनेलौ
      भाव करेजक आखर-आखर लिखि पठेलौ

      बुझलहुँ अहाँ विदेश मे जाकऽ खूब कमेलौ
      मुदा कहू की गामहि सन नेह ओत्तहु पेलौ ?

      छै सुविधा कने कम्म गाम मे शहर अपेक्षा
      मुदा,की कहियो सूच्चा भोजन शहर मे खेलौ ?

      हम बेकारे देखि-देखि सपना रैन गमेलौ
      अपन जुआनी अहीँ आस मे बेरथ गमेलौ

      आन बुझैत छी हमरा आहाँ कोनो बात नहि
      "चंदन"मुदा कोना के माय-बाबू के बिसरलौ ?

      ---------------वर्ण-१७-------------
      June 19 at 2:07pm · · 4
    • Ira Mallick केहन जादू केलय रे काजर
      कारी,
      गुँइयाँ दुश्मन बनल छै नग्र,
      सारी।
      तेजल लोकलाज भेटल
      उपराग,
      ताना मारै हजार पढ़य लोग, गारी।
      June 19 at 4:40pm via mobile · · 3
    • Ruby Jha केहन छल इ बरखा बुन्नी सौं पसिझल सावन
      बहा ल' गेल काजर सजेने छलौ अहाँ ल साजन
      आबि जाऊ अति शीघ्र अछि अहाँ क शपथ हमर
      जिब रहल छी अछैत अहाँ बिनु बनि बिरहन
      June 19 at 5:00pm · · 6
    • Ruby Jha हम सजा राखब अहाँ क आँखी काजर बनि प्रियतम
      परा जाएब अम्बर में करिया बादर बनि प्रियतम
      जखन ताकब अहाँ मोन सौं एकोबेर हमरा कखनो
      बुझा जाएब प्यास छलकैत गागर बनि प्रियतम
      June 19 at 5:16pm · · 4
    • मिहिर झा सौ पटकनिया लगा देत हम्मर आँखिक काजर
      सौंसे नगरिया घुमा देत हम्मर आँखिक काजर
      पाछू पाछू डोलि हमर जनू करू समय बर्बाद
      बीच बजरिया लुटा देत हम्मर आँखिक काजर
      June 19 at 5:18pm · · 5
    • Ira Mallick
      अपन पलक के परदा उठाउ यै,
      देखु एना नहिँ लजाउ।
      चैन लुटलक काजर बेईमान यै,
      इ काजर नहिँ लगाउ।
      रतिया मारै करेजवा कटार यै,
      भोरे काजर नहिँ सजाउ।
      सुनु सजनी राखु हमर मान यै,
      नैना बीच हमरे बसाउ।
      June 19 at 6:49pm via mobile · · 5
    • पंकज चौधरी
      करिया आइंखक कातक काजर
      शोभि रहल अहिवातक काजर

      नव यौवन के प्रीत में पसरल
      नयन सँ ल नथियातक काजर

      लजा गेली ओ देइख क लेभरल
      अपन चतुर्थी परातक काजर

      सुन्न लगय बिनु काजर नयना
      लेप लेलहुं बिन बातक काजर

      अनसुहांत सन गप श्रृंगारक
      नयन लगय नै जातक काजर

      नैन हुनक जा धरि अछि मूनल
      बस चुप बैसल तातक काजर

      नयन-वाण सँ प्राण जों बंचि गेल
      "नवल" जान लेत घातक काजर
    • Ruby Jha लागे सुन्नर बौआ क भोगारल काजर
      कतेक जतन सौ माई पारल काजर
      नजैर नौ लागेय बौआ क एही लेल त
      आन्िख शोभै सगुन उचारल काजर
      June 23 at 1:05am via mobile · · 4
    • Ashish Anchinhar आइ ऐ मोशायराक अंतिम दिन थिक। परिणाम २८ तारीखकेँ आएत। अगिला मोशायरा करीब ३ मास बाद हेबाक संभावना अछि।....
    • जगदानन्द झा 'मनु' रुबाइ
      गोरी तोहर काजर त ' जान मरैए
      छौंरा सभ सबतरि हाय तान मरैए
      पेलक की भाग ई काजर विधाता सँ
      तोहर आँखि में इ गजब शान मरैए
    • जगदानन्द झा 'मनु' रुबाइ
      काजर बूझि क ' अपन आँखि में बसा लिय
      मित बना क ' कनीक करेजा सँ लगा लिय
      जुनि ऐना अहाँ कनखी नजरि घुमाऊ
      अपन आँखिक करीया काजर बना लिय
    • पंकज चौधरी
      बौआ के छटिहारक राइत मिथिला-विधिए नियारल काजर
      शुभग - सिनेहक ठोप करिकबा मौसी हाथक पारल काजर

      नवरातिक अहि शुभ बेला में अबै अष्टमिक राति डेराओन
      माय अपन संतति सभके तें आंखि दुनु चोपकारल काजर

      अन्हरिया राति अमावस के ई दीप - पुंज मुंह दूइश रहल
      राइत दिवालिक लेसल टेमी तंत्र - मन्त्र उपचारल काजर

      कते सुहन्गर स्वप्न सजोने कजरायल आँखिक पेपनी पर
      बरसाति -पंचमी- मधुश्रावनि नवकनिया के धारल काजर

      नव यौवन के नव तरंग इ "नवल" मोन भसियेबे करतै
      गोर-गोर चन्ना सन मुंह पर सजनी कियै लेभारल काजर
    • पंकज चौधरी
      ओहिना आंइख की कम कारी जे काजर के विनयास केलौं
      मेघ करिकबा भादव केऽ तकरो रंगक परिहास केलौं

      अरिकंचन सन काया तैऽ पर ई सोलह श्रृंगार गजब
      पिया मिलन के राति अहाँ श्रृंगार अलग किछु खास केलौं

      नेह छोड़ि नमरी लऽ नचलहुं जीवन गेल निरसता में
      देश - विदेश कतेऽ छिछियेलौं अनढन केऽ वनवास केलौं

      मानल छी दोखी हम सजनी मुदा आब सप्पत ल लीयऽ
      गोल - गोल कारी नयना कियै काजर पोईछ उदास केलौं

      अनुराग शेष नहि टाका केऽ कोठा नेऽ आब बखारिक मोह
      अहिं करेजा प्रीतक धन लऽ "नवल" आब घरवास केलौं
    • Ashish Anchinhar आब ई मोशयरा बन्द भेल
      June 26 at 12:53am via mobile · · 2
    • पंकज चौधरी
      काजर सन कजरौटो कारी भाग जगैयै काजर के
      पाकि रहल कजरौटा त की सुख भेटैयै काजर के

      लोक करइयै मोहित भ घाट-बाट काजर के चर्चा
      कजरौटा के हाल के पूछत सभ देखैयै काजर के

      अवहेलित कजरौटा खाली काजर नयन नचैयै
      कोन धेने कजरौटा बैसल देखि जड़ैयै काजर के

      कजरौटा के भाग सिया सन सुख सपनेहु नै भेल
      टेमी सँ पुछियऊ ओ सभटा भेद बुझैयै काजर के

      "नवल" हाथ लेती कजरौटा फेर लगेती काजर ओ
      अहि मोह में फंसि कजरौटा फेर पोसैयै काजर के
      June 26 at 1:04am · · 1
    • Ashish Anchinhar हमरा ई कहैत बड्ड खुशी भए रहल अछि जे मैथिलीक दोसर आन-लाइन मोशायराक विजेता श्रीमती इरा मल्लिक जी छथि। हुनका ई सम्मान हुनक रुबाइ क्रमशः-

      आँखिक काजर अहाँक बेजोर लगैयै
      एहन मुस्की सँ राइतोमेँ भोर लगैये
      छी पूनम के चाँद लोग चकोर लगैये
      गामक पहरुओ आब तैँ चोर लगैये



      परदेशी सँओ लगा बैसलहुँ हम बड़ झूठी यारी
      झूठ सजेलओँ अधर गुलाबी आँखि मेँ काजर कारी
      अँग अँग सजाओल गहना बिँदिया लाजक लालीसँ
      राति ठहरि परदेशी करता फेर भोर के तैयारी



      अपन पलक के परदा उठाउ यै देखु एना नहिँ लजाउ

      चैन लुटलक काजर बेईमान यै इ काजर नहिँ लगाउ

      रतिया मारै करेजवा कटार यै भोरे काजर नहिँ सजाउ

      सुनु सजनी राखु हमर मान यै नैना बीच हमरे बसाउ

      -----------------लेल देल जा रहल अछि। संगे-संग जाहि तन्मयताक संग इरा जी ऐ पाँति सभहँक गेय रूप देलखिन्ह अछि से अभूतपूर्व अछि। बधाइ इरा जीकेँ।

      संगे-संग ऐ मोशायराक हरेक शेरो-शाइरी अपना-अपना जगह पर नीक छल। आ हमरा लोकनिकेँ खूब आनंद देलक। आशा अछि जे आगू होमए बला मोशायरा आर नीकसँ हएत। .......................................
      June 28 at 3:39pm · · 5
    • पंकज चौधरी Ira ji ke hardik badhaai....!!!
      June 28 at 3:41pm · · 1
    • Rajeev Ranjan Mishra BAHUT BAHUT BADHAI IRA JEE K,o ekra gabio k suna chuklaith apna sab gote ke!!
      June 28 at 4:37pm · · 1
    • Ashish Anchinhar आब प्रायः तीन मास बाद मोशयरा हएत। ता धरि अभ्यास करैत रहू।...
      June 28 at 5:15pm · · 2
    • पंकज चौधरी Fer hetai se neek samaad....muda..... 3 maas baad....? antaraal kane besi namhar nai bha' gel....!
      June 28 at 5:16pm · · 2
    • जगदानन्द झा 'मनु' इरा जी के हार्दिक बधाइ ....!!!
      June 28 at 9:22pm · · 1
    • June 28 at 10:03pm via mobile · · 1
    • Ruby Jha Badhai ira ji k..
      June 29 at 12:12am via mobile · · 2

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों