गुरुवार, 27 सितंबर 2012

गजलकार परिचय शृखंला भाग-37



बाबा बैद्यनाथ
पिताक नाम---- स्व. सूर्यमणि झा
माताक नाम----स्व. गौरी देवी
जन्म----३ अगस्त १९५५ ( श्रावण धवल त्रयोदशी )
शिक्षा---- एम.ए ( हिन्दी एवं दर्शन शास्त्र)
पता-- कचहरी बलुआ, भाया बनैली, जिला पूर्णिया
प्रकाशित कृति---पहरा इमानपर ( गजल संग्रह)



मैथिली आ हिन्दी साहित्यिक विभिन्न विधामे समान रूपें लेखन। अखिल भारतीय त्रिभाषा ( हिन्दी, मैथिली, उर्दू) साहित्य एवं कला परिषदक संस्थापक आ महासचिव। मिथिला सौरभ ( मैथिली त्रैमासिकी) आ त्रिवेणी ( हिन्दी, मैथिली, उर्दूक काव्य संकलन)क संपादन। सुपौलसँ प्रकाशित भारती-मंडन नामक पत्रिकाक प्रधान संपादक। हिन्दी आ मैथिलीमे लिखल कैकटा नाटक, उपन्यास, कथा संग्रह, कविता संग्रह अप्रकाशित।

केन्द्रीय सचिवालय, हिन्दी परिषद् नई दिल्ली द्वारा आयोजित " हिन्दी प्ररूप एवं टिप्पणी-लेखन प्रतियोगिता "मे अखिल भारतीय स्तरपर प्रथम स्थान प्राप्त, फलतः स्वर्ण पदक, वैजयन्ती ( ट्राफी), प्रशस्ति पत्र एवं नगद राशिसँ सम्मानित।

जिला साहित्य परिषद्, खगड़िया द्वारा मैथिली साहित्यमे योगदान हेतु " विद्यापति स्मृति सम्मान "सँ सम्मानित।


वर्तमानमे यूको बैंक, मुख्य शाखा, बेगूसरायमे सीनीयर मैनेजर

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों