शुक्रवार, 9 फ़रवरी 2018

गजल

ने अँगना जोगर ने दलान जोगर
ने जमीन जोगर ने लगान जोगर

गरीब लड़किए जकाँ गरीब लड़को
ने बियाह जोगर ने चुमान जोगर

एहन मुरती बनि गेलहुँ जीवनमे
ने पूजा जोगर ने भसान जोगर

तटस्थ केर जीवन बितलै एना क'
ने घिरना जोगर ने गुमान जोगर

हुनकर सिनेह अतबे भेटल हमरा
ने नवेद जोगर ने लवान जोगर

सभ पाँतिमे 22-22-22-22-22 मात्राक्रम अछि। दू टा अलग अलग लघुकेँ दीर्घ मानबाक छूट लेल गेल अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

तोहर मतलब प्रेम प्रेमक मतलब जीवन आ जीवनक मतलब तों